मौसम अपडेट

नेपाली पात्रो

विदेशी विनिमय दर अपडेट

राशिफल अपडेट

सुन चाँदी दर अपडेट

Title

साहित्य / कला   

बाबुजी

बाबुजी

शेयर गर्नुहोस:

फन्ट परिवर्तन गर्नुहोस:

  • change font
  • change font
  • change font

किछु अहि तरहेँ हमरा सभके पालैत रहलैथ बाबुजी
अपन मोनक इक्षा सभके मारैत रहलैथ बाबुजी
अहि कारण की हमरा सभके पाएर में नईँ काँट गड़ए
आगाँ आगाँ रास्ता सभके बहारैत रहलैथ बाबुजी

हमरा सभके नवका कपड़ा अपने पुरने धोती में
अहिना दशमी दिवाली होली मनावैत रहलैथ बाबुजी
मोन परैत अछि दादी के जे एकबेर पाएर टूटल
कोरामें लए गँगा स्नान कराबैत रहलैथ बाबुजी

जाधरि रहत ई जिनगी ताधरि सभटा मोन रहत
उँच नीच जे हमरा सभके समझाबैत रहलैथ बाबुजी
निर्मम होई छै एकाकी जीवन तैयो कहता ठीक छी हम
मोनक दर्द आ आखि’क नोर नुकाबैत रहलैथ बाबुजी

एक एक दिन गनैत रहैत छथि केओ त’ आब लेत सुधि
मोन में आशा उमेदक चिनगी पजारैत रहलैथ बाबुजी
घर आओत पाएर छुअत मोन भरि सभसँ बात करब
एहने छोट छोट सपना  सजाबैत रहलैथ बाबुजी

जौँ कहबै कि सँगहि चलू तखनो कहाँ मानै बाला
बयस ढ़लल बास कोना तेजब, बुझाबैत रहलैथ बाबुजी
अहि दुआरे शायद कि सँघर्ष करबाक शक्ति भेटए
श्री राम चन्द्र कृपालु भजमन गावैत रहलैथ बाबुजी

परदेशी पुत्रक पिताके सभतरि ईहे कहानी छै
जीवन सँध्या किछु अहि तरहेँ गुजारैत रहलैथ बाबुजी
किछु अहि तरहेँ हमरा सभके पालैत रहलैथ बाबुजी
अपन मोनक इक्षा सभके मारैत रहलैथ बाबुजी…